Saturday 15 April 2023

सुगम करु राह हे जननी

 सुगम करु राह हे जननी

शरण में आबि बैसल छी

हरू व्यवधान जीवन सं

अहीं से आस धयने छी

सुगम करु राह हे जननी....

नै पूजा पाठ हम कयलहु

नै मन से मंत्र के जपलहुं

सांसारिक मोह में हरदम

समय व्यर्थे गंवोंने छी

सुगम करु राह हे जननी....

अहां सं कि छिपल हमर

करु एहसान हमरा पर

जगत के तारिणी अंबे

अहां सबटा जनैते छी

सुगम करु राह हे जननी....

किया करूणा छिपौने छी

कथी लय रोष कयने छी

क्षमा करु दोष जगदम्बे 

अहीं के नाम जपने छी...

भारती दास ✍️


No comments:

Post a Comment