Monday 26 September 2022

देवी प्रार्थना


वर दय हरू कष्ट हमर मैया 

बड़ देर सं आश लगेने छी

अवलंब अहीं छी व्यथित मनके

विश्वासक दीप जरेने छी

वर दय हरू.....

छी मूढ मति कोना ध्यान करू

हे दुर्गा अहां कल्याण करु

अछि पथ दुर्गम हे जगत जननी

अपराध कतेको कयने छी

वर दय हरू.....

हम मंत्र तंत्र नै जानै छी

अनुदान स्नेह के मांगै छी

हे शैल सुता स्वीकार करू

पद में मद अर्पण कयने छी

वर दय हर......

दुर्गा पूजा के हार्दिक शुभकामनाएं


(मैंथिली गीत)

भारती दास ✍️


8 comments:

  1. Replies
    1. धन्यवाद अनीता जी

      Delete
  2. बहुत सुंदर देवी गीत।सादर।

    ReplyDelete
    Replies

    1. बहुत बहुत धन्यवाद

      Delete
  3. सुन्दर प्रार्थना-गीत

    ReplyDelete
  4. धन्यवाद अमृता जी

    ReplyDelete